नील पट्टीकेँ क्लीक कए कs ब्लॉगक सदस्य बनल जाउ

जय मिथिला जय मैथिली

रचना मात्र मैथिलीमे आ स्वम् लिखित होबाक चाही। जँ कोनो अन्य रचनाकारक मैथिली रचना प्रकाशित करए चाहै छी तँ मूल रचनाकारक नाम आ अनुमति अवश्य होबाक चाही। बादमे कोनो तरहक बिबाद लेल ई ब्लॉग जिमेदार नहि होएत। बस अहाँकें jagdanandjha@gmail.com पर एकटा मेल करैकेँ अछि। हम अहाँकेँ अहाँक ब्लॉग पर लेखककेँ रूपमे आमन्त्रित कए देब। अहाँ मेल स्वीकार कएला बाद अपन, कविता, गीत, गजल, कथा, विहनि कथा, आलेख, निबन्ध, समाचार, यात्रासंस्मरण, मुक्तक, छन्दबद्ध रचना, चित्रकारी आदि अपन हाथे स्वं प्रकाशित करए लागब।

सोमवार, 16 अप्रैल 2012

आयी फेर याद आयल, किएक मिथिला देश कें

आयी फेर याद आयल, किएक मिथिला देश कें

छोरी देने छी जहन, हम सब अप्पन खेत कें

आयी फेर याद ..............................
माय के कोना बिसरलौं , की भेले इ की कहू

चली परल छी लय पिपासा, छोरी अप्पन भेष कें

भाई छुटल , मित्र छुटल, छुटि गेल सब याद सब

हम तरपी क रही गेलौं, बस हाथ धेने केस कें

आयी फेर याद आयल ........................

नया जमाना आबी गेलय, पाई टा भगवन छई

जाकरा देखू एके रस्ता , पायी के इन्सान छई

सखी छुटल मीत छुटल, रुसी गेल सबटा कोना

आब त बिसरी रहल छी, नेंपन के खेल कें

आयी......................................

गाम पर पीपर तर में , खेलाइत रहिये कोना कहू

रोज एतय परदेश में छी , दिन खुजिते रोज बहु

मोन कनाल अंखि कनाल, देखि के कोना सहू

सोचिते सबटा मिटा मितायल, सपना अपने देखि कें

आयी .....................................
संस्कार सेहो बिसरलौं , चललौं पश्चिम के बाट पर

मिथिला बस कल्पैत रहली, उएह टूटलहिया खाट पर

अंत में मिथिले टा पूछती , राखू नै एकरा ताख पर

सुनु आनंद के बात मिता, घर नै बनाबू बालू आ रेत कें

आयी फेरो .................................

रचनाकार

आनंद झा 'परदेशी'


(रचनाकार आनंद झा एकरा कतौ हमरा स बिना पूछने नै उपयोग करी )

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें